प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह नूतन अंक
वि दे ह विदेह Videha বিদেহ http://www.videha.co.in विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका Videha Iऽt Maithili Fortnightly ejournal विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका नव अंक देखबाक लेल पृष्ठ सभकेँ रिफ्रेश कए देखू। Alwayऽ refreऽh the pageऽ for viewing new iऽऽue of VIDEHA.

कुमार मनोज कश्यप

१ टा लघुकथा

अन्हार s लड़ैत

लॉन मे बैसल रौद सेकैत रही तखने गेटक  कॉल-बेल बाजल। गेट खोललहुँ - एकटा उन्नैस-बीस बरिसक छौंड़ा ठाढ़।  sल जोड़ि बाजल - 'सर ! आहाँ ओहि ठाम हमरा कोनो काज भेटि सकइयै ?'

- ' कोन काज?

- ' जे भेटत…… धिया-पुता के ट्यूशन पढ़ेनाई सs s s शारीरिक श्रम सभ किछु!'

- 'हमरा लsग एखन एहन कोनो काज अछि नहिं। आहाँ कतहु आर पुछियौ।'

- 'सर! आहाँ के कोनो परिचित ……!

ओकरा पर दया आबि गेल।  लागल जे निश्चये ई  कोनो बेसी खगता  मे अछि।  तखने दोसर दिस मोन मे बिजलौका जकाँ चमकल जे आई काल्हि चोर सभ चोरि सs पहिने रेकी कs s सभ जानकारी जुटा लैत छै.…… अपनत्व बढ़बैत छै  आ आराम सs वारदात के अंजाम दैत छै। फेर मोन मे आयल हाव-भाव  आ चेहरा-मोहरा सs s लुच्चा-लंपट नहिं लगैत अछि। नेपाली घर गेल अछि; कियै ने गाड़ी ताबत रोज एकरे सs धोआ ली ....... एकरो दू पाई भs जेतै आ हमरा अपने गाड़ी साफ नहिं करs पड़त।  गाड़ी धोबा काल हम ओतहि ठाढ़ रहबै तs ई एम्हर-ओम्हर ताक-झाँक नहिं कs सकत। बस एकरा अपन काज सs काज। यैह सोचि कहलियै – “हमरा लsग आन कोनो काज तs अछि नहिं।  हँ, एखन नेपाली गाम गेल अछि ताबत आहाँ कs s चाही तहम अपन गाड़ी धोबा के काज आहाँ के दs सकैत छी।ओ सहर्ष तैयार भगाड़ी धोलक आ काल्हि फेर भोरे एबाक बात कहि  प्रणाम कs s चलि गेल।

गाड़ी ओ बेस नीक जकाँ धोने छल.... रगड़ि-रगड़ि कs। एहन साफ सs s नेपाली कहियो ने धोने हैत हम गाड़ी के चारू कात घुमि कs देखs लगलहुँ। एकटा पोस्टकार्ड खसल भेटल। लिखल छलै - 'नीरा! एखन तक हमरा कोनो काज नहिं भेटs लै। काज भेटितै हम पाई पठेबाक जोगार करबौ। ताबे डॉक्टर-दवाई तs नहिं भs पेतौ; मुदा देसी-घरेलू दवाई  सs माय के जीया कs रखनाई तोहर पैघ जिम्मेदारी छौ। हिम्मत नहिं हारिहैं। भगवान संग छथुन।  तोहर भैया - अमोल।'

हम ओहि चिट्ठी के हाथ मे लेने शून्य मे तकैत रहलहुँ आ फेर पर्स जेब मे रखैत पोस्ट ऑफिस दिस बिदा भs गेल रही ।

 

-कुमार मनोज कश्यप, सम्प्रति: भारत सरकार के उप-सचिव, संपर्क: सी-11, टावर-4, टाइप-5, किदवई नगर पूर्व (दिल्ली हाट के सामने), नई दिल्ली-110023 मो. 9810811850 / 8178216239 ई-मेल : writetokmanoj@gmail.com 

अपन मंतव्य editorial.ऽtaff.videha@gmail.com पर पठाउ।