वि दे ह विदेह Videha বিদেহ http://www.videha.co.in विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका Videha Ist Maithili Fortnightly e Magazine विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका नव अंक देखबाक लेल पृष्ठ सभकेँ रिफ्रेश कए देखू।
गौरी शंकर साह
भाव
परीक्षा दियाबय लेल सप्ता आयल छलथि मास्टर साहेब। संगमे ड्राइवर सेहो छलनि। जखन दोसर सिटिंग एक बजे शुरू भेलनि तऽ किछु समय पछाति खेबाक लेल आरके काॅलेज दिस बिदा भेलाह। गाड़ीकेर अपन स्थान धरा एकटा घरदोकनिया पर पहुँचलथि। सात -आठ आदमी एकसंगे खा सकैत ततेक जगह छलनि। एक आदमी पहिने सँ पाबि रहल छलाह। मास्टर साहेब दू जगह खेनाइक आॅर्डर दऽ सीट धऽ लेलनि।
खेनाइमे भात -दालि, अल्लू-कोभीक तरकारी,अल्लूक भुजिया आ पापड़ रहनि। दोकानदार प्रेमपूर्वक सभगोटेकेर खिया रहल छलाह। हुनक उमैर पैसठसँ कम नहि हेतनि।
तखनहि पहिने सँ खायबला आदमी हुनका आवाज देलकनि कि कनेक भुजिया देब यो। मास्टर साहेब बाजि उठलाह-अतेक उमरि भेलाक बावजूद अहां लोक सब के खिया रहल छी, एक तरहे तऽ देश सेबा कऽ रहल छी।
तखनहि ओ दोकानदार मास्टर साहेबक पलेटमे पापड़ द' देलकनि।पहिनुक खेनिहार बाजल आंय यो मांगने रही हम आओर देलयनि हुनका।
मास्टर साहेब सोचि रहल छलाह नीक भाव रहने फल सेहो ओहने कीने ?
नाम -गौरी शंकर साह
ग्राम+पो०-तुलापत गंज
थाना-झंझारपुर
जिला-मधुबनी
बिहार 847109
8521197323
अपन मंतव्य editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाउ।