प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह नूतन अंक
वि दे ह विदेह Videha বিদেহ http://www.videha.co.in विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका Videha Ist Maithili Fortnightly ejournal विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका नव अंक देखबाक लेल पृष्ठ सभकेँ रिफ्रेश कए देखू। Always refresh the pages for viewing new issue of VIDEHA.

प्रमोद झा 'गोकुल'
जेना पाकल धान

सिंह बाजल
हाथी भागल
पुर्वा लहकल
मेघ पड़ायल ।
गगन धवल
धरा हँसल
वर्षा जनल
शरद प्रवल ।
मधुरी लोहछल
तीरा मीरा हँसल
चमेली चमकल
बेली आंखि मारल ।
अधर टुह टुह
गुलाब उह उह
अढ़ूल फुह फुह
धथूर धुह धुह !
सिङरहार हँसल
स्वर हहा गुंजल
झर झर झहरल
शरद धरा पुजल ।
अपराजिता जितल
दुबकि कोने हसल
गुमसुम गेना भल ।
कैल हेतै इहो प्रवल
दिन छै इनल गिनल
गुलाउदी तेँ मखरल
हेबै हमहूँ प्रेम मतल ।
प्रकति प्रसन्न अगरा रहल
पहिरि बहुरंगक परिधान
माइक स्वागत मे चराचर
नत भेल जेना पाकल धान ।।
-प्रमोद झा 'गोकुल', दीप,मधुवनी (विहार), फोन -9871779851 

अपन मंतव्य editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाउ।