प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह नूतन अंक
वि दे ह विदेह Videha বিদেহ http://www.videha.co.in विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका Videha Ist Maithili Fortnightly ejournal विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका नव अंक देखबाक लेल पृष्ठ सभकेँ रिफ्रेश कए देखू। Always refresh the pages for viewing new issue of VIDEHA.
 

प्रमोद झा 'गोकुल'
जीवन चक्का


जीवन चक्का
खा रहल धक्का
तुक्का पर केओ
मारय छक्का
जे जत्ते पैघ नटक्का
ठेका ज्ञानक ओकरे पक्का
ज्ञानी गुम्म हक्का बक्का
भटकि रहल भय मुहतक्का
जत्ते जेकरा पैरवी टक्का
ओकरे कुर्सी ज्ञान चुटुक्का
श्रम जयतेक फुकू फुक्का
मानू चलतै सिक्केक सिक्का
ईये बीए जे छी पढ़क्का
मारू छाती अपने मुक्का
विधि विधानक बड़का उक्का
धू धू धधकय लाल भुभुक्का
पथ प्रसस्त बढ़ू बनू लड़क्का
जे चाहब से पायब सरक्का
जागू उठू करू धमक्का
गति मेआनू जीवन चक्का


-दीप,मधुवनी (विहार), फोन -9871779851

अपन मंतव्य editorial.staff.videha@zohomail.in पर पठाउ।