
रबीन्द्र नारायण मिश्र
बिसरि जाएब जरूरी छै
छोड़ि दिअ चिंता
मोनकेँ आराम दिऔ
चाहक संग रौदमे
भोरुका अखबार पढ़ू
कोनो पुरान दोस्तकेँ
फोन लगाएल करू
बिसरल बात सभ
अंतरग प्रसंगसभ
चैनसँ बतिआएल करू
कखनो-कखनो
छुट्टी मनाएल करू
आइ-काल्ह करैत
जिनगी बीता देलहुँ
जे केलहुँ,नहि केलहुँ
तकर कोन हिसाब छै
बिसरि जाउ पुरान बात
मोनकेँ उसास दिऔ
नहूँ-नहूँ गीत
गुनगुनाएल करू
कखनो काल
आरामो कएल करू
एक पर एक
दुनिआमे पसरल छै
ककरा की छै
तकर की माने छै
जे किछु प्राप्त अछि
बहुत मूल्यवान छै
कथुक ने अंत छै
जीवनमे छोट-पैघ
सभक स्थान छै
सुखी रहबाक लेल
संतुष्टि जरूरी छै
जीवनमे शांति लेल
संतोष जरूरी छै
छोट-मोट बात
बिसरि जाएब जरूरी छै
व्यर्थक शंकासँ
अनावश्यक चिंतासँ
सदिखन बचैत रहू
मोनकेँ हल्लुक करू
जाहिसँ निचेन रहए
आनन्द बनल रहए
से काज अबस्स करू
जीवन बड़ छोट छै
हँसि कए बितबैत रहू
मरबाक तँ छैहे
मरिओ कए नाम रहए
तेहनो किछु
जीबिते करैत रहू
-रबीन्द्र नारायण मिश्र, १६।०८।२०२४ (९।२५ प्रातःकाल)
लेखक परिचयः
नाम : रबीन्द्र नारायण मिश्र
पिताक नाम : स्वर्गीय सूर्य नारायण मिश्र
माताक नाम : स्वर्गीया दयाकाशी देवी
जन्म तिथिः२ जनबरी १९५४(प्रमाण पत्र)
२४ अगस्त १९५२(जन्मपत्र)
पैतृक ग्राम : अड़ेर डीह
मातृक : सिन्घिआ ड्योढ़ी
वृति : भारत सरकारक उप सचिव (सेवानिवृत्त)/
स्पेशल मेट्रोपोलिटन मजिस्ट्रेट,
दिल्ली(सेवानिवृत्त)
शिक्षा : चन्द्रधारी मिथिला महाविद्यालयसँ बी.एस-सी.
भौतिक विज्ञानमे प्रतिष्ठा : दिल्ली विश्वविद्यालयसँ विधि स्नातक
श्री रबीन्द्र नारायण मिश्रक प्रकाशित कृति :मैथिलीमे:-
प्रकाशन वर्ष:2017
१. ‘भोरसँ साँझ धरि’ (आत्म कथा),
२. ‘प्रसंगवश’ (निवंध), ३.
‘स्वर्ग एतहि अछि’ (यात्रा प्रसंग),
प्रकाशन वर्ष:2018
४. ‘फसाद’ (कथा संग्रह) ५. `नमस्तस्यै’ (उपन्यास) ६. विविध प्रसंग (निवंध ) ७.महराज(उपन्यास) ८.लजकोटर(उपन्यास)
प्रकाशन वर्ष:2019
९.सीमाक ओहि पार(उपन्यास)१०.समाधान(निवंध संग्रह) ११.मातृभूमि(उपन्यास) १२.स्वप्नलोक(उपन्यास)
प्रकाशन वर्ष:2020
१३.शंखनाद(उपन्यास) १४.इएह थिक जीवन(संस्मरण)
१५.ढहैत देबाल(उपन्यास) १६.पाथेय(संस्मरण)
प्रकाशन वर्ष:2021
१७.हम आबि रहल छी(उपन्यास) १८.प्रलयक परात(उपन्यास)
प्रकाशन वर्ष:2022
१९.बीति गेल समय(उपन्यास) २०.प्रतिबिम्ब(उपन्यास)२१.बदलि रहल अछि सभकिछु(उपन्यास)22. राष्ट्र मंदिर(उपन्यास) २३. संयोग(कथा संग्रह) २४. नाचि रहल छलि वसुधा ( उपन्यास)
प्रकाशन वर्षः2023
२५.दीप जरैत रहए(उपन्यास) २६.ठेहा परक मौलायल गाछ(उपन्यास) २७.पटाक्षेप(उपन्यास)
प्रकाशन वर्षः2024
२८ माटि बजा रहल अछि(यात्रा प्रसंग) २९ जयतु जानकी(उपन्यास)
३० यज्ञसेनी(उपन्यास)
प्रकाशन वर्षः2025
३१.कथा अखन बाँकी अछि(संस्मरण) ३२. गाछ बजैत छैक(कथा संग्रह) ३३.सूर्यपुत्र(उपन्यास)
In English: -
Year
of publication:2018
1. The Lost House (Collection of short stories)
2. Life is an art
3.The Ganges Whispers (English translation of my Maithili Novel,Ham Aabi Rahal Chhee (हम आबि रहल छी)
हिन्दी में –
प्रकाशन वर्ष:2019
१.न्याय की गुहार
अपन मंतव्य editorial.staff.videha@zohomail.in पर पठाउ।
