प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह नूतन अंक

वि दे ह विदेह Videha বিদেহ http://www.videha.co.in विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका Videha Ist Maithili Fortnightly ejournal विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका नव अंक देखबाक लेल पृष्ठ सभकेँ रिफ्रेश कए देखू। Always refresh the pages for viewing new issue of VIDEHA.

रबीन्द्र नारायण मिश्र

अन्वेषण

 

हे भगवान

हमरा ओतए लए चलू

जतए केओ भूखल नहि होअए

नहि होइक केओ अर्धनग्न

जतए केओ रातिमे सड़कपर अहुरिआ नहि काटए

जतए कोनो बालककेँ श्रम करबाक मजबूरी नहि होइक

जतए कोनो महिलाकेँ प्रताड़ित नहि कएल जाइक

जतए धर्म, भाषा, जाति आओर पंथक नाम पर

 भेदभाव नहि होइक

जतए ककरो भय

आपसी शत्रुता, द्वेष,प्रतिशोध,नहि होइक 

 

हे भगवान!

हमरा ओतए लए चलू

जतए सभ मुड़ी उठा सकए

जीबि सकए सम्मानपूर्ण जीवन

भेटि सकैक सभकेँ अपन वाजिब हक

जतए न्याय सर्वोपरि होइक

आओर स्वतः सुलभ होइक

जतए सभ रहथि मित्रवत

जतए गरीब आ धनीक होथि सहभागी दुख-सुखमे

 

हे भगवान!

हम अनंतमे समाहित भए चलि जाइ

 दूर,बहुत दूर

ताहिसँ पहिने

कमसँ कम एक बेर

हमरा ओतए लए चलू

जतए दुनिआ बुझाइक एकहि सुखी परिवार

जतए सभ केओ होथि पूर्ण संतुष्ट

जाहिसँ हम एहन दुर्लभ क्षणक आनंद उठा सकी

खुसीसँ नाची,गाबी

आओर कहि सकी

हे प्रभो!

अहाँ सचमुच महान छी!

 

रबीन्द्र नारायण मिश्र

19.2.2022

mishrarn@gmail.com

 

अपन मंतव्य editorial.staff.videha@zohomail.in पर पठाउ।