प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह नूतन अंक
वि दे ह विदेह Videha বিদেহ http://www.videha.co.in विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका Videha Ist Maithili Fortnightly ejournal विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका नव अंक देखबाक लेल पृष्ठ सभकेँ रिफ्रेश कए देखू। Always refresh the pages for viewing new issue of VIDEHA.

कल्पना झा
हेरायल मऽन

संउसे घर इजोत,
बडु कष्टप्रद अछि इस इजोत !
अंहारे घर कते जगमग छल,
किछु फुसि किछु सते सब अनदेखल छल,
कते महग भेल ई,
समय क डोढ़ि,
झलफलाइत आंखि क कोन ठेकान,
सियान भेल धी पूत ,
बसल आन मोकाम,,
बेसी नय मुद्दा भरोस छल,
अंहार घर में टोहैत,
मातृत्व क ओ क्षुद्धा
काल्पनिक छल की सते,
बताहि भेने कोनो फ़ायदा नय,
भावी जिंदगी जुआरि में,
खेतक आरि बनने कोनो फ़ायदा नय,
निहोरा केने ठार छी,
सदि खन इजोते रहै।
-कल्पना झा, बोकारो

अपन मंतव्य editorial.staff.videha@zohomail.in पर पठाउ।